विलुप्त हेबाक कगार पर अछि पंजी प्रथा आजुक भोजपत्र आओर कागज

प्रभाकर झा

नरसिंह देव क द्वारा शुरू कैल गैल पंजी प्रथा आजुक भोजपत्र आओर कागज क रूप मे धूल खा रहल अछि । कि‍छु एतेक पुरान भए गेल अछि जे ओकरा पढ़ल नहि‍ जा सकैत अछि, जे बचल छल ओ या त धुरा फाँकि‍ रहल अछि वा कोनो सरकारी दफ्तर क अलमारी मे बन्न भए विलुप्त हेबाक कगार पर अछि । जरूरत अछि एकर डिजिटलाइजेशन क ताकि एकर आम लोगक पहूँच तक होए आ आसानी स सबकए उपलब्ध भए सकय । उक्त गप पिछला दिन पंजीकार दिवाकर झा कहलथि‍ ।

ओ बतौलथि‍ जे हुनकर परिवार 1558 ई स पंजीकार होएत आबि रहल अछि । हुनकर घर मे ओ 11म पुस्त छथि‍ जे पंजीकार बनल । अखैन धरि जे पंजीकार बनल ओहि मे क्रमश: स्व० पुराई झा, हरि झा, पोषण झा, महामहोभजन झा, दुल्ला झा, कृष्णा झा, जगधर झा, उमाकांत झा, पंडित पंजीकार श्री देवनारायण झा आ तकर बाद दिवाकर झा छथि‍ ।

एहि गप क आँँगा बढ़ाबैत श्री दिनकर झा बतौलथि‍ जे ओ पंजिकारी मे करीब 40 से लागल छथि‍ आ अखैन धरि करीब 3000 से बेसी पंजीयण कए चुकल छथि‍ । हरेक साल ओ 50-60 टा पंजियण त करते टा छथि‍ । ओ इहो बतौलथि‍ जे सभटा पंजियण ओ तिरहुता लिपी मे करैत अछि । संगे ओ बतेलथि‍ि‍ जे एहि कुलक नवीण पंजीकार दिवाकर जी छथि‍ जे सबसे कम बयस मे पंजीकार बनल । दिवाकर झाजी एकटा बी-टेक इंजिनीयर छथि‍ संगे संग अपन पुश्तैनी कलाक बचेबा मे लागल छथि‍ । ओ एकटा कुशल पंजीकार, कुशल चित्रकार आ कुशल अभि‍यंता सेहो छथि‍ । पंजिकरण क एहि काज कए ओ अपन दादा श्री देवनाराण झा स सिखने छथि‍ । श्री झा चाहैत छथि‍ जे सभटा चिज जे पोथी मे बन्न अछि ओकरा पुरा दुनिया जानय । ओ चाहैत छथि‍ जे आभासी दुनिया क लोग सेहो पंजी व्यवस्था स परिचित भए सकय । एहि क लेल ओ एकटा एप्प बनाबय चाहैत छथि‍ जाहि स पंजीयण व्यवस्था प्रस्तुत भए सकय आ आसान भए सकय आ सहजहि लोकसभ कए उपलब्ध भए सकय ।

कि अछि पंजी व्यवस्था –

पंजी व्यवस्था क शुरूआत मिथि‍ला नरेश हरिसिंह देव (1310-1324) सर्वप्रथम शुरू केने छथि‍ । आ इ खाली ब्राह्मण आ कायस्थ समाज लेल छल । दरअसल पंजी प्रथा एक प्रकारक जिनोलॉजिकल रिकॉर्ड अछि जेकरा हम पंजी कहैत छी, अर्थात ओ पोथी जाहि मे हमर पूर्वज क जिनोलॉजिकल रिकॉर्ड होए । एहि प्रथा क लागु करबाक पाछाँ एतबे टा उद्देश्य छल शादी बियाह एहन परिवार मे होए जेकर वर आ वधु पक्ष मे कोनो संबध नहि होए । जाहि स हुनकर परिवार मे सुख शांति होए आ वंश मे सुयोग्य आ कुलीन संतान उत्पन्न होए । मिथि‍ला नरेश सबसे पहिने एहि विचार कए 14टा गाम मे लागू करने छलथि‍ जाहि मे सौराष्ट्र, परतापुर, शि‍वहर, गोविंदपुर,गोविंदपुर, फतेहपुर, सजौल, सुखसनिया, अखयारी हेमनगर, बलुआ, बरौली, समसौल, सहसलुका इत्यादि । एहि व्यवस्था कए सुचारू रूप से लागू करबाक लेल पंजीकार क नियुक्ती कैल गेल जे वर वधु क मूल गोत्र क ध्यान मे राखि‍ कए पंजी व्यवस्था कए सुचारू रूप स लागू करैत छलाह ।

वर वधू पक्ष मे सर्वप्रथम संबंध स्थापित करबाक काज पंजीकारे क होएत छल । ओ दूनू पक्षक गोत्र, मूल, आ वंशज कए मिलाकए देखैत छल जे दूनू पक्ष कए पूर्वज मे कोनो संबंध त नहि छल । जो वर पक्ष आ वधु पक्ष क प्र‍पितामह, अतिवृध प्रपितामह तक मे कोनो संबंध नहि होएत छल तखने दुनू गोटेक विवाह क प्रस्ताव स्वीकार होएत छल । ओकर बाद अपन पंजी मे उत्तेर ( एक प्रकार क डाक्यूमेंटेशन ) बनाबैत छल आओर ओ हुनकर नाम, ग्राम आ मूल गोत्र क हिसाब से पंजी पुस्तक मे राखैत छल । ओकर बाद बधु पक्ष लेल एकटा परामर्श पत्र बनाबैत छल आओर ओहि परामर्श पत्र कए वर द्वारा पढ़ाकए हुनका संग संबंध स्थापित करल जाएत छल । ई एकटा वैज्ञानिक प्रणाली छल जेकार जीनोम फ्यूजन कहल जाएत छल । विपरित जीन मे विवाह केला स संतान कुलीन आ स्वस्थ पैदा लैत अछि । एकरा वैज्ञानिक सेहो प्रमाणि‍त केने अछि । ज्ञात होए कि पंजीकारी प्रथा क लेल मिथि‍ला मे सौराष्ट्र सभा गाछी बड्ड बेसी प्रसिद्ध छल । ओतय हरेक साल सभाक आयोजन होएत छल । ओतय हरेक साल एकटा सभा क आयोजन होएत छल जे आब विलुप्त भए गेल अछि । मिथि‍ला क लेल इ दुखद गप अछि ।

(लेखक मधुबनी चित्र शैली के चित्रकार हैं)

शुभजिता

शुभजिता की कोशिश समस्याओं के साथ ही उत्कृष्ट सकारात्मक व सृजनात्मक खबरों को साभार संग्रहित कर आगे ले जाना है। अब आप भी शुभजिता में लिख सकते हैं, बस नियमों का ध्यान रखें। चयनित खबरें, आलेख व सृजनात्मक सामग्री इस वेबपत्रिका पर प्रकाशित की जाएगी। अगर आप भी कुछ सकारात्मक कर रहे हैं तो कमेन्ट्स बॉक्स में बताएँ या हमें ई मेल करें। इसके साथ ही प्रकाशित आलेखों के आधार पर किसी भी प्रकार की औषधि, नुस्खे उपयोग में लाने से पूर्व अपने चिकित्सक, सौंदर्य विशेषज्ञ या किसी भी विशेषज्ञ की सलाह अवश्य लें। इसके अतिरिक्त खबरों या ऑफर के आधार पर खरीददारी से पूर्व आप खुद पड़ताल अवश्य करें। इसके साथ ही कमेन्ट्स बॉक्स में टिप्पणी करते समय मर्यादित, संतुलित टिप्पणी ही करें।